कोजगरा में गाँवक दृश्य ।।



कोजगरा साल में भले एक बेर आबैत अइछ ।
मुदा ...

पूरा साल भईर के मखानक एके राइत में जोगार क देइत अइछ हमरा गाँव मे 1 आदमी के 1 किलों स कम भेल त एके गो गप कहल जाइत अइछ की अखनो तोरा बच्चे में गिनती होइय छौउ ।।

चाँदक इजोरिया में जखन लोक कुर्ता धोती पहिरने हाथ मे एगो बड़का झोरा ल क निकलैत अइछ त गाँवक कोनो गली एहन नाइ रहैयत अइछ की ओय गली से किछ लोक मुह में या त पान या माखन चिबाबैत नाइ निकलैत मिलैत अइछ ।।

दलाने दलान टेन्ट, जनरेटर और गीत सबहक बीच 10 टा सजा क राखल कुर्सी ओय बीच मे राखल एगो चौकी और चौकी पर एगो बाटी या बट्टा ल क बैसाइल एगो सज्जन जे चंगेरा में माखन सजेने गाँवक लोकक इंतज़ार करैत रहैयत छैथ ।।

इहा सबहक बीच गाँवक लोक के दलान पर प्रवेश  बट्टा या बाटी ल क वो सज्जन उइठ जाइत छैथ जखन सब ग्रमीण कुर्सी पर अपन स्थान ग्रहण क लयत छैथ एक कोन स बट्टा या बाटी लेने वो सज्जन सबहक मुँह देखैत मखान प्रसाय लागैयत छैथ बरका लोक के भैर बट्टा और बच्चा के देखते छोटकी बाटी ल क ओकरा झोरा में मखान गिरबय छैथ तहन त पुछु नैय वोयह बच्चा पर की गुजरैत हैत सेह त अपनोहो बुझनेहे हेबय ।।

ओहा एगो समय लागत की कतय जल्दी बड़का होइयतौ की हमरो बड़का बट्टा ल क मखान भेटइत , ओइयह में किछ बुधियार बच्चा जे अपन बाबा साथे घुमत जकरा अपन मंने मन इ बुझाइत रहैयत अइछ की ओकरा बाबा लाथे किछ बिशेष मखान भेट जायत ।।

जखन एक एक क सब गोटे के मखान भेइट जाइत अइछ त बैसाइल ग्रामीण उइठ क पान सुपारी ल क अगिलका दलान के तरफ प्रस्थान करैत छैथ ओइयह में किछ ग्रामीण जे गाँव मखाने लेबय लेल आयल रहैयत छैथ औह ग्रामीण ओहा दलान पर पान खायत दोसर ग्रमीण स पूछता कियौ कतय कतय अइछ , अगिला गली में सेहो छैय की , फलना बाबू के दरबजा पर सेहो हेतैक की सेह पुछैत आग बैढ़ैत छैथ ।।

सुच्चा गाँवक बुजुर्ग त 1 महीना पहिनेहे गिन लेने रहैत छैथ की भैर गाँव मे कतेक थाम अयि बेर मखान बटैयत और कतेक अयि बेर अंनठिया देलखिन ।।

हमरा गाँव मे सुना में आइला की 28 थाम अइछ आंहक गाँव मे काय जगह अइछ से कमेंट में जरूर बताब ।।

एतबय नैय कोजगरा पराते कतेक थाम भोज हैयत सेहो गिनल रहैयत अइछ ।।

इ तरहे लोक जबतक पूरा गाँवक सब दलान स मखान नैयह ल लयत छैथ तबतक एनाही ई क्रम चलैत रहैयत अइछ ।।

एयतरहे लोक अगला दिनक भोजक बाट जोहय लागैयत छैथ और कोजगरा राइत अयि तरहे समाप्त भ जायत अइछ ।।

Post credit Gaurav mishra

Post a Comment

आपके प्यार और स्नेह के लिए धन्यवाद mithilatak के साथ बने रहे |

Whatsapp Button works on Mobile Device only